आम 'म्याङ्गिफेरा' वर्ग सँ सम्बन्धित तथा उष्ण हावापानी भेल स्थानमे उब्जऽवला एक प्रकारक मीठ तथा खट्टा फल छी । एकर गाछ अत्यन्त उपयोगी, दीर्घजीवी, सघन तथा विशाल होएत अछि । फलक राजा कहि चिन्हल जाएवला आमनेपालमे पूर्व सँ पश्चिम तथा दक्षिणक तराई सँ पहाड़ (३,००० फिटक उचाईधरि) धरि पाओल जाएत अछि । अनुकूल जलवायु भेलापर एकर गाछ करिब ५०-६० फिटधरि उँच भऽ सकैत अछि ।वैज्ञानिक वर्गीकरण वनस्पति जगतक ऐनाकार्डियेसी वर्ग सँ सम्बन्धित आमक कीछ गाछसभ बहुतेक उँच होएत अछि ।
आमक गाछ एक फूल फुलाएवला जातिक, पैग स्थलीय वनस्पति छी । एकर फलमे दुई दलीय बिया होएत अछि । एकर फूल छोट-छोट आ समूहमे होएत अछि । आमक पत्ता सरल, लम्बा तथा शीर्षमे चोख होएत अछि । एकर जडि लम्बा आ बलगर होएत अछि । एकर फल एक बीज भेल सरस आ गुदीयुक्त होएत अछि । आमक फल विश्वप्रसिद्ध, स्वादिष्ट आ अत्यन्तै पौष्टिक फल छी एहिकारण एकराफलसभक राजा सहो कहल जाइत अछि । एकर स्वाद कच्चामे खट्टा आ पाकलाकबाद मिठगर होएत अछि ।